Thursday, March 3, 2011

अछि सन्देश



"अछि सन्देश"

समृद्ध भाषा 
मैथिली मिथिलाक
जायत हेरा

लाज होइछ
बाजब कोना भाषा
पढ़ल हम

दोषारोपण
नेता अभिभावक
नहि कर्त्तव्य

देशक नेता
  नहि जनता केर
स्वार्थे डूबल  

करू ज्यों स्नेह
माँ आ मात्रि भाषा सँ
संकल्प लिय

आबो तs जागू 
मिथिला केर लाल
प्रयास करू

अबेर भेल
तैयो विचार करू    
अछि सन्देश

 - कुसुम ठाकुर- 

1 comment:

  1. आपके ब्लॉग पर आकर अच्छा लगा. हिंदी लेखन को बढ़ावा देने के लिए आपका आभार. आपका ब्लॉग दिनोदिन आप अवश्य पधारें, यदि हमारा प्रयास आपको पसंद आये तो "फालोवर" बनकर हमारा उत्साहवर्धन अवश्य करें. साथ ही अपने अमूल्य सुझावों से हमें अवगत भी कराएँ, ताकि इस मंच को हम नयी दिशा दे सकें. धन्यवाद . आपकी प्रतीक्षा में ....
    भारतीय ब्लॉग लेखक मंच
    danke ki chot par

    ReplyDelete